बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,२७ गते चइत ।
सार्वजनिक सडकके दायाँ बायाँ नालासहितके सडक अधिकार क्षेत्रभित्र परल अवैध घर, छपडी, टाट, गुम्ती, मालजाल, खाद्यान्न तथा निर्माण सामग्री आ अन्य संरचना हटाबेला गौर नगरपालिका कार्यालयसे सुचना जारी कएलगेल हए । नगरपालिकामे आएल नयाँ हाकिम विष्णु प्रसाद पौडेल सडक संरचनाके अतिक्रमण कएले सम्पूर्ण संरचनाके हटाबेला सात दिनके समय देइत सुचना जारी कएले छत । सार्वजनिक सुचनामे तोकल गेल स्थानके निर्धारित मितिके भित्तर खाली नकएलापर नगरपालिका बाध्य होके अपने हटाबेला अगाडि अएलापर ओमे लागेवाला सम्पूर्ण खर्च सम्बन्धित धनिकसे असुल उपर करेके तरफ कारबाही अगाडि बढेके चेतावनी भी सुचनामे देलगेल हए ।

