रामअधार प्रसाद यादव,रौतहट,चैत २२ गते ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटके कार्यालय परिसर भित्र आ आसपास बैठके सेवाग्राही सवके सहयोग करेके नाममे अवैध रूपमे रकम असुली करेवाला व्यक्तिसव के उपर कडाइ करेके निर्णय कएले हए ।
रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी दिनेश सागर भुसालके एतवारके एक सूचना जारी करईत ओईन गतिविधिमे संलग्न व्यक्तिसवके कार्यालय प्रवेशमे रोक लगएले जानकारी देले हए ।
सूचनामे सरकारी कार्यालय आसपास बिचौलियाके सक्रियता बढ्ईत गेल उपर गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल उल्लेख करईत सेवाग्राहसवके भ्रममे पारके गैरकानुनी रूपमे रकम असुली कार्य नियन्त्रण करके एईसन कदम चालले जनएले हए ।
प्रशासन स्पष्ट पारले हए की ओईसन कवनौ व्यक्तिसव कार्यालय परिसर आ आसपास क्षेत्रमे फेला परला पर प्रचलित कानून बमोजिम कडा कारबाही कएल जाई । साथमे सेवाग्राहसवके काैनाे सेवाके लेल अनधिकृत व्यक्तिके रकम नदेवेके आ सिधे सम्बन्धित शाखासे सेवा लेवे आग्रह कएले हए ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटके आईसन कदमसे सेवाग्राहीसवके सहज, पारदर्शी आ भ्रष्टाचारमुक्त सेवा प्रदान करके सहयोग पुगेके अपेक्षा कएल गेल हए ।