बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,१६ गते चैत ।

भारतके सीतामढीमे हिन्दी आ बज्जिका साहित्यकारके जमघट भेल हए । नवभारती न्यास सेवाके आयोजनामे भेल दशमा वार्षिक कार्यक्रममे भारतके सीतामढी, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, समस्तीपुर, जहानाबाद, बनारस समेत विभिन्न सहरके हिन्दी महिला साहित्यकारके कविता पाठ कएलगेल हए ।

अन्तर्राष्ट्रिय सीतामढी काव्य महोत्सव नाम देलगेल कार्यक्रममे नेपालके जनकपुर आ जलेश्वरसे महिला साहित्यकारके हिन्दी कविता प्रस्तुत कएलगेल रहे । सीतामढी, परिहारके कवयित्री प्रीति सुमनद्वारा सीतामढीके रघुलीला रिसोर्टमे व्यवस्थापन कएलगेल कार्यक्रममे अतिथि देवो भवः आ राजमहलके अन्तिम रात नामक नाटक कृतिके लोकार्पण कएलगेल हए ।

साहित्यकार प्रीति सुमनके दुनू नाटक हिन्दीमे रहल हए । कार्यक्रममे दश नाटककारके डा। इन्दल सिंह नवीन साहित्यसेवी सम्मानसे सम्मानित कएलगेल हए । नाटकके क्षेत्रमे योगदान देलापर साहित्यकार रामचन्द्र महतो कुशवाहा आ संजय साह मित्रके सम्मानित कएलगेल हए । कार्यक्रममे भारतके अखौरी चन्द्रशेखर, प्रमोद प्रियदर्शी, रामबाबु नीरवसहित अन्य विशिष्ट साहित्यकार लोगके सम्मानित कएलगेल हए । कार्यक्रममे भारतके भारतके विभिन्न सहरके साथे बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके अध्यक्ष किशुनदयाल श्रीकृष्ण, बज्जिका साहित्य समाज सर्लाहीके उपाध्यक्ष शैलियादेवी ठाकुरसमेतके सहभागिता रहल रहे ।