रामअधार प्रसाद यादव,रौतहट १४ चैत
जनमत पार्टी जिल्ला समन्वय समिति रौतहटके सम्पन्न विशेष बैठकसे जिल्लाके राजनीतिक परिदृश्यमे एक महत्वपूर्ण मोड लेआएल हए । बैठकमे उपस्थित बहुमत सदस्यसवके निर्णय आ व्यापक छलफलके बाद बिकास कुमार यादवके सर्वसम्मत रूपमे जिल्ला अध्यक्ष पदमा चयन कएल गेल हए । ई चयनसे पार्टीभित्रके आन्तरिक लोकतन्त्र आ एकतामे मात्र बरियार बनाबेके नकी , बल्कि रौतहटमे जनमत पार्टीके संगठन विस्तारमे नयाँ आयाम थप अपेक्षा कएल गेल हए ।
जनमत पार्टी केन्द्रिय सचिवालयके निर्देशनानुसार शनिचरके जिल्ला पार्टी कार्यालय गौरमे जिल्ला समन्वय समितिके बैठक से सात सदस्यीय जिल्ला पदाधिकारी समिति सर्वसहमतिसे चयन कएल गेल हए । अध्यक्षमे बिकास कुमार यादव, उपाध्यक्ष मनिषा देवी, उपाध्यक्ष रामप्रवेश पटेल , सचिवमे प्रकाश झा,सह(सचिवमे असमा खातुन,धर्मेन्द्र महतो आ कोषाध्यक्षमे राजु यादव सहित सात सदसिय चयन कएल गेल हए ।

