रामअधार प्रसाद यादब,रौतहट,३० गते फागुन ।
सर्वसाधारणके भान्सामे प्रयोग होरहल एलपि ग्याँसके अभाव देखल जारहल हए । बजारमे एलपि ग्याँसके उपभोक्ता एलपि ग्याँस मिलेवाला दोकानपर निरन्तर पुगरहल हए । अपना कम्पनीके ग्याँसके डिलर तथा खुदरा बिक्रेताके लगे उपभोक्तालोग ग्याँसके खाली सिलिन्डर लेके पुगरहल हए मगर सिलिन्डर उहँमे छोडके लौटेके पररहल देखलगेल हए । अधिकांश खुदरा बिक्रेता तथा डिलरके अधिकृत बिक्रेता सिलिन्डरके लाइनमे लगाबेला कहके ग्राहकके लौटारहल हए । ग्राहक लोग भी सिलिन्डर खुदरा बिक्रेता चाहे डिलरवालाके पास राखके लाइनमे लगाके पुर्जी लेके लौटेपर बाध्य रहल स्थिति हए । एलपि ग्याँस कहिआ आबेके निश्चित नरहल कहइत अएतेमे फोन कके बोलाबेके उपभोक्ता लोगसे डिलर आ खुदरा बिक्रेता कहरहल हए । अति जरुरी रहल लोगके भी एलपि ग्याँस नपुगरहलासे बहुतेक परिवारमे दिक्कत होखेके सुरु होगेल हए । कटहरियाएके एक जने उपभोक्ता अपन सिलिन्डर सुधला दू दिन होगेल आ अब जरनासे चुल्ही बारेके सुरु कदेले जानकारी करएले छथिन । नेपालमे भारतसे एलपि ग्याँस आरहल आ भारतमे भी अभाव सिर्जना होएले नेपालमे प्रभाव परल हए । खाडी क्षेत्रमे होरहल युद्धके असर नेपालके भान्सातक भी पररहल देखलगेल हए ।

