सरिता कुमारी श्रीवास्तब,रौतहट,३० गते फागुन ।
बज्जिका साहित्य समाज सर्लाहीके अध्यक्ष तथा चर्चित बज्जिका साहित्यकार रामचन्द्र महतो कुशवाहाके आधा दर्जन कृति एकसाथ लोकार्पण होरहल हए । भाव शिरोमणि उपाधिसे विभूषित तथा नेपाल आ भारतमे विभिन्न संघसंस्थाद्वारा सम्मानित साहित्यकार कुशवाहा एगो खण्डकाव्य आ पाँचगो नाटक एकसाथ सनिच्चरके लोकार्पण होरहल हए । चैत ७ गते सनिच्चरके दिन सर्लाहीके गोडैता नगरपालिकास्थित सरस्वतीदेवी कुशवाहा सामुदायिक आधारभूत विद्यालयमे दुपहरियाके १२ बजे कृतिके विमोचन होरहल हए । एक दर्जनसे बेसी साहित्यिक कृति लिखचुकल कुशवाहाके सरस्वती खण्डकाव्यके नहिराके कुत्तो प्यारा, अपन समाज, कुल खन्दान, पिया परदेश आ घर परिवार नाटकके लोकार्पण होएके निश्चित भेल हए । गोडैता नगरपालिकाके नगर प्रमुख देवेन्द्र कुमार यादव प्रमुख अतिथि रहेवाला कार्यक्रममे पर्सा, बारा, रौतहट, सर्लाही आ महोत्तरी जिलाके साथे भारतके बज्जिका भाषासेवी तथा साहित्यकारलोगके सहभागिता रहेके साहित्यकार कुशवाहा जानकारी करएले छत ।

