सरिता कुमारी श्रीवास्तब,रौतहट,३० गते फागुन ।

रौतहटके गढीमाई नगरपालिकाके एगो वडा कार्यालयमे चोरी भेल हए । गढीमाई नगरपालिकाके वडा नम्बर ८ के वरियारपुरमे रहल वडा कार्यालयमे चोरी भेल हए । अज्ञात चोर वडा कार्यालयमे प्रवेश कके कम्प्युटर, ल्यापटप लगायतके विभिन्न विद्युतीय साम्रगी चोरी कएले जानकारी प्राप्त भेल हए ।
वडा कार्यालयमे रहल प्रिन्टर तथा वाइफाइके बक्सा निकालके बाहर फेंक देले वडाध्यक्ष बजरंगीप्रसाद यादव जानकारी करएले छत । घटनाके विषयमे जानकारी प्राप्त होएतेमे वरियारपुरमे रहल प्रहरी चौकीके असई राजेन्द्र यादवके नेतृत्वके प्रहरी टोली घटनास्थल पुगके अनुसन्धान कएले हए । घटनाके विषयमे गहन अनुसन्धान कएल जारहल प्रहरी चौकी इन्चार्ज राजेन्द्र यादवके कहनाम हए । वडा कार्यालयके कागजपत्र सुरक्षित रहल मगर चार लाखसे बेसीके विद्युतीय सामग्री चोरी भेल वडा सचिव धर्मेन्द्र यादवके कहनाम हए ।