आरके श्रीवास्तव,रौतहट,०८ गते पुस ।

रौतहट । शान्ति सुरक्षा सुदृढीकरण आ अपराध नियन्त्रणमे उल्लेखनीय योगदान पुगएले कहइत इलाका प्रहरी कार्यालय शिवनगर, रौतहट दरबन्दी होके इलाका प्रहरी कार्यालय चन्द्रनिगाहपुरमे कार्यरत प्रहरी सहायक निरीक्षक निलेश पाठक २०८२ साल अगहन महिनाके ’उत्कृष्ट प्रहरी’ के रूपमे चयन भेल छत् ।
विभागीय मूल्य–मान्यता, आदेश–निर्देशनके पालना करइत व्यवसायिक, लगनशील आ कर्तव्यनिष्ठ ढंगसे कर्तव्यपथमे तल्लीन रहके उच्च मनोबल आ साहसके साथ जिम्मेवारी निर्वाह कएले मूल्याङ्कनके आधारमे उनकारा उत्कृष्ट प्रहरी घोषणा कएले जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

प्रहरी सहायक निरीक्षक पाठक मिति २०८२ अगहन ५ गते रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नं. ६ स्थित फरार प्रतिवादी रामेश्वर राउतके पक्राउ करेमे सफल भेल रहलन । ओइसहि मिति २०८२ अगहन ९ गते चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नं. ४ स्थित सवारी साधनके प्रतीक्षामे रहल दिनेश कुमार कोलीके नक्कली गुट्खा तीन बोरा सहित पकडले रहे ।

ओइसहि मिति २०८२ अगहन १३ गते विशेष सूचनाके आधारमे चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नं. ४ के भोला साह कलवारके चेकजाँच कएलापर उनकारा साथसे लागूऔषध खैरो हिरोइन १९० मिलिग्राम बरामद करके पक्राउ करेला सफल भेल रहलन । मिति २०८२ अगहन १४ गते लागूऔषध खैरो हिरोइन बेचबिखन कररहल अवस्थामे चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नं. ६ निवासी राजेश राईके भि पक्राउ कएलगेल रहे ा
ओइसहि मिति २०८२ अगहन १६ गते चोरी–डकैती करके फरार रहल आस महमद, विशाल महर्जन, नवराज झा, अतुलेश दास आ शुभम कुशवाहाके सिसिटिभि फुटेजके विश्लेषण करके चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नं. ५ स्थितसे पक्राउ करेमे सफल होके प्रहरीके छवि उच्च बनाबेके कार्यमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएले छत् ।

ओइ उत्कृष्ट कार्यके उच्च मूल्याङ्कन करइत जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके कार्यालय प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक रविन कार्की प्रहरी सहायक निरीक्षक निलेश पाठकके २०८२ साल अगहन महिनाके ‘उत्कृष्ट प्रहरी’ घोषणा करइत प्रशंसा–पत्र प्रदान करेके साथे उनकर व्यक्तिगत आ व्यवसायिक जीवनके सफलताके शुभकामना व्यक्त कएले छत् ।