आरके श्रीवास्तव,रौतहट,०७ गते पुस ।

रौतहट । मधेस प्रदेश मिडिया काउन्सिलके कार्यवाहक अध्यक्ष सुरेश यादव पत्रकारके प्रोत्साहन करेके उद्देश्यसे पत्रकारिता पुरस्कार विधेयक तत्काल पारित करके कार्यान्वयनमे लेआबेला पहिल प्राथमिकता राहल बतएले छत् । रौतहटके चन्दनिगाहपुरस्थित होटल गौतममे आयोजित सञ्चारमाध्यमके अवस्था आ चुनौती विषय एक दिवसीय गोष्ठीमे बात हृनले अइसन जानकारी देले रहलन ।
अध्यक्ष यादवके अनुसार दोसरका कामके रूपमे पत्रकार अभाव आ समस्यामे रहललासे तत्काल राहत देबेला पत्रकार कल्याण कोष स्थापना करेके जानकारी देलन । एइ साल भितर इ दुनु काम सम्पन्न होएके उनरक कहनाम रहल रहे ।


तिसरका प्राथमिकताके रूपमे हुन पत्रकारितामे लेखन संस्कृति कमजोर होते गेले स्वीकार करेके अवस्था आएल उल्लेख कएलन । “कपि–पेस्ट पत्रकारिता लेखन संस्कृतिके कमजोरीके उपज हए,” कहइत एकरा सुधार करेला लेखन वृद्धि कोष स्थापना करेके जानकारी देलन । मिडिया काउन्सिल ए साल इ तीनु काम सुरु करचुकल आ अन्तिम चरणमे पुगल हुन बतएलन ।
चौथा कामके रूपमे सामाजिक सञ्जाल आ फेसबुके पत्रकारिताके दुरुपयोग कम करेला अनलाइन सञ्चारमाध्यमके वर्गीकरण करेके प्रक्रिया अघि बढाबेके अध्यक्ष यादव स्पष्ट कएलन । मिडिया काउन्सिल मधेस प्रदेशके ६ गो जिल्लामे अइसन कार्यक्रम सम्पन्न करचुकल जानकारी भि देलन ।
पत्रकारके अर्थतन्त्र मजबुत बनाबेके विषयके गम्भीरतापूर्वक लेले बतावइत हुन लोककल्याणकारी विज्ञापन व्यवस्थापनके लेल कार्यविधि बनाके अगाडि बढेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन । इ सभि काम सफल बनाबेला नेपाल पत्रकार महासंघके सक्रिय सहयोग आवश्यक रहल उनकर कहनाम रहल रहे ।
विश्वसनीयता कायम भेलापर मात्र व्यवसायिक पत्रकारिता सम्भव होएके उल्लेख करइत अध्यक्ष यादव आमसञ्चार प्राधिकरणमार्फत प्रेस पासके व्यवस्था करेके, जजेसे वास्तविक पत्रकारके पहिचान सुनिश्चित करेके बतएलन ।


कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि प्रदेश सांसद युवराज भट्टराई समिर सञ्चारमाध्यमके समस्या आ चुनौतीबारे अपने जानकार रहल बतवइत पत्रकारितामे स्पष्ट मापदण्ड आवश्यक रहल धारणा राखलन ।
गोष्ठीमे नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहटके पूर्व अध्यक्ष प्रेमचन्द्र झा आ नेपाल पत्रकार महासंघ सर्लाहीके अध्यक्ष ओमप्रकाश ठाकुर अपन अपन जिल्लाके पत्रकारिताके अवस्था आ चुनौतीबारे कार्यपत्र प्रस्तुत कएले रहलन ।
कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ मधेस प्रदेश अध्यक्ष श्याम बनजरा भि एइ विषयमे अपन धारणा राखले रहलन । नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहटके अध्यक्ष सञ्जय कार्की भि सञ्चारमाध्यमके अवस्था आ चुनौतीके बारेमे अपन धारणा राखले रहलन ।

कार्यक्रमके पृष्ठभूमिबारे मिडिया काउन्सिलके सदस्य बन्दना झा अवस्था सुधार करसकेके बतएलथिन् । गोष्ठीके क्रममे सहभागी मिडिया सञ्चालकसबके समूहमे विभाजन करके सुझाव संकलन कएल गेल रहे । कार्यक्रममे रौतहट आ सर्लाहीके मिडिया सञ्चालकसबके सहभागीता रहल रहे ।
कार्यक्रम सञ्चालन मिडिया काउन्सिल मधेस प्रदेशके प्रशासकीय प्रमुख ओमप्रकाश कटुवाल कएले रहलन ।
राष्ट्रिय गानसे सुरु भेल कार्यक्रममे ज्ञात–अज्ञात सहिदसबके सम्झनामे एक मिनेट मौन धारण कएल गेल रहे । सहभागी मिडिया सञ्चालकसबके मिडियाके काममे सहयोग पुगाबेके उद्देश्यसे एक–एक थान ब्याग प्रदान कएल गेल रहे ।