रामआधार प्रसाद यादव,रौतहट,०७ गते पुस ।
कटहरिया । नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके इहे पुस १२ गते होएबाला जिल्ला एकता सन्देश सभा सम्मेलनके सफल बनाबेके उद्देश्यसे कटहरिया नगरपालिकामे नगर कमिटी तथा वडा कमिटीके तयारी बैठक सम्पन्न भेल हए ।
बैठकमे विशेष अतिथि विनदेश्वर राय यादव आ रजुदिन आलमके उपस्थिति रहल रहे । कटहरिया नगरपालिका वडा नं. १ से ९ तकके अगुवा नेता तथा कार्यकर्तासबके उल्लेखनीय सहभागितामे बैठक सम्पन्न भेल हए ।
बैठकके सुरुवातमे देशमे भेल महान जनयुद्ध, जनआन्दोलन, जेनेजी आन्दोलन आ मधेस आन्दोलनके क्रममे सहादत प्राप्त करेबाला सहिदसबप्रति एक मिनेट मौन धारण करके उच्च सम्मानके साथ श्रद्धाञ्जली अर्पण कएल गेल रहे । साथे पुस १२ गते होएबाला जिल्ला एकता सन्देश सभा सम्मेलनमे अधिकतम सहभागिता सुनिश्चित करेके निर्णय कएल गेल हए ।
प्रत्येक वडा बेसीसे बेसी नेता आ कार्यकर्ताके सहभागिता कराबेके उद्देश्यसे विशेष अतिथि विनदेश्वर राय यादव अपन धारणा राखइत संगठनके थप मजबुत बनाबेला आग्रह कएलन । बैठकसे जनताके सेवा आ सूचना प्रवाहलके प्रभावकारी बनाबेके उद्देश्यसहित ११ सदस्यीय समिति गठन करेके निर्णय समेत कएले हए ।
बैठकमे नगर अध्यक्ष नसरुदिन अन्सारी संगठनमे इमान्दारीके साथ काम करेला आग्रह करइत नेता आ कार्यकर्ताके कौनो समस्या परलापर अपने सबदिन सहयोग करेला तयार रहल प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन ।
कार्यक्रममे सम्बोधन करइत नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीका नेता विनदेश्वर यादव पार्टी आगामी निर्वाचनमे जाएला पूर्ण रूपमे तयार रहल बतएलन । हुन जेनेजीके आत्मसात करइत पार्टी अगाडि बढरहल उल्लेख करइत संगठन विस्तारमे सभिके एकजुट होएला आह्वान कएलन ।
बैठकसे जिल्ला एकता सन्देश सभा सम्मेलनके ऐतिहासिक रूपमे सफल बनाबेके प्रतिबद्धता व्यक्त करइत समापन भेल रहे । कार्यक्रममे कटहरिया नगरपालिका वडा नम्बर १ के वडा वडाअध्यक्ष भूपेन्द्र महतो,वडा प्रत्यासी सुखल प्रसाद यादव,प्रेमशंकर यादव, राजदेव सहनी लगायतके नेता कार्यकर्तासबके उपस्थिती रहल रहे ।

