अर्जुन कुमार यादव,मंसिर,१३ गते ।

रौतहट जिल्लाके इशनाथ नगरपालिका क्षेत्रमे पछिल्ला कउनो दिनयता तस्करी गतिविधि असाधारण रूपमे बढरहल हए । जयनगरसे रामपुर खाप, लतमरी होईत महुलिया नाका बोडरतकके क्षेत्रमे प्रत्येक रोहबरमार्फत निरन्तर रूपमे अवैध सामानके आवत–जावत भेलरहल स्थानीयवासीसब बताएलन ।

 

से सीमावर्ती क्षेत्रके कमजोर निगरानी आ रातरात होईत गतिविधि तस्करी झन् सहज भेलरहल कहईत नागरिकसब चिन्तित हए । स्थानीय स्रोतके अनुसार, भारतसँघ जोडल ई नाकासबसे दैनिक रूपमे विभिन्न प्रकारके उपभोग्य तथा प्रतिबन्धित वस्तुसब अवैध रूपमे भितर आ बाहरके क्रममे बढल हए ।

 

सीमावर्ती बस्तीमे बसोबास करेला बासिन्दा तस्करसब समूहमे आयोजना कएले नियमित रूपमे रोहबर प्रयोग करेकेलेल उल्लेख कएले हए । ईके असर बजार व्यवस्थापन, राजस्व सङ्कलन आ स्थानीय सुरक्षामे प्रत्यक्ष रूपमे परल जनाएले हए ।

 

स्थानीयवासी तथा सरोकारवालासब तस्करी समग्र सामाजिक–आर्थिक संरचना प्रभावित बनारहल कहईत जलदीसे जलदी कडा कदम चालाबेके सरकारी निकायके आग्रह कएले हए । हुनसब सीमावर्ती नाकासबमे प्राविधिक निगरानी, नियमित गस्ती आ स्पष्ट प्रशासनिक कडाइ लागू करेला मात्र समस्या नियन्त्रणमे आबेके सकल धारणा व्यक्त कएले हए ।