जनकपुरधाम, कात्तिक १३ गते —
मधेस प्रदेशके मुख्यमन्त्री जितेन्द्र सोनलसंघे नेपालके लेल बेलायती राजदूतावासके विकास कार्यक्रम प्रमुख पौलिन सिनन नेतृत्वके टोली विफेके जनकपुरधाममे शिष्टाचार भेटघाट कएले हए ।
भेटके क्रममे मुख्यमन्त्री सोनल प्रदेश सरकारके प्रमुख प्राथमिकता शिक्षा, स्वास्थ्य आ कृषि क्षेत्र रहल उल्लेख करइत उ क्षेत्रके समृद्धिके लेल विकास साझेदारसबके सहयोग अपरिहार्य होएमे जोड देलन । हुन प्रदेशके समग्र विकासके लेल बेलायती दूतावास जईसन अन्तर्राष्ट्रिय साझेदारसबसंघे सहकार्य करेला प्रदेश सरकार तयार रहल भि बताएलन ।
एई अवसरमे बेलायती टोलीके प्रमुख सिनन प्रदेश सरकारके विकास प्रयाससबमे सहकार्य आ समर्थनके लेल दूतावास प्रतिबद्ध रहल कहईत सम्भावित सहकार्यके क्षेत्रमे छलफल करेला इच्छा व्यक्त कएले रहे ।
भेटघाटमे प्रदेश सरकारके उच्च अधिकारीसब आ बेलायती दूतावासके प्रतिनिधिसबके समेत उपस्थिती रहल रहे ।

