बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट, कार्तिक १२ गते ।
नेकपा एमालेके केन्द्रीय सदस्य कुन्दन कुशवाहा पत्रकार सम्मेलनमार्फत माैलापुरमे पार्टीके निर्धारित शुभकामना आदानप्रदान आ भेटघाट कार्यक्रमके योजनाबद्ध रूपमे प्रभावित पारेके प्रयास भेल आरोप लगएले हए ।
उनकरा अनुसार एमाले कार्तिक १३ गते माैलापुरमे हाेएके हिसाबसे कार्यक्रम तय करचुकल रहि आ मञ्चसेही ओईबारे घोषणा समेत कएलगेल रहे । लेकिन, उहे समयमे आम जनता पार्टीके केही नेता आ कार्यकर्तासबभि कार्यक्रम करेके बतएले सुन्लापर दुःखद लागल हुन बतएलन ।
कुशवाहा कहलन, “हमनीके निर्धारित कार्यक्रमके प्रभावित बनाबेके उद्देश्यसे ओही समयमे दाेसर पार्टीसे कार्यक्रम घोषणा करनाई कार्यकर्ता लडाबेके प्रयत्न मात्र हए । गाैरजईसन घटना फेरू दोहरासकेके सम्भावना रहलासे एई विषयमे एमाले बुधके राैतहट क्षेत्र नम्बर ३ के क्षेत्रीय बैठक बईठके निर्णय करी।”
हुन माैलापुरमे एमालेके कार्यक्रम करे नदेबेके, बिथोलेके आ धम्कीपूर्ण वातावरण सिर्जना करनाई गलत आ लोकतान्त्रिक मूल्यके विपरीत भेल बतएलन । कुशवाहाके अनुसार, “लोकतन्त्रमे सभिके अपन विचार राखेके स्वतन्त्रता हाेईअ,लेकिन अईसन घेराबन्दी आ धम्कीपूर्ण शैली त राणा शासनकालमे हेाईत रहे । अभि ओइसन कदम चालनाई अत्यन्तै दुःखद हए ।”
पत्रकार सम्मेलनमे हुन गाैर घटनाके जड भि ओइसन प्रवृत्तिमे रहल बतावईत, “प्रभु साहके हठके कारण गाैर घटना भेल चारूओरसे पुष्टि हाेचुकल हए । एके मञ्च आ एके समयमे जबरजस्ती कार्यक्रम कएलापर ओइसन दु:खद घटना भेल,” हुन कलहन ।
कुशवाहा थपलन “नेकपा एमाले काैनाेसे नडेराई । हमनी शान्तिपूर्ण आ लोकतान्त्रिक अभ्यासमे विश्वास करईछि । यदि काैनाे जेनजी आन्दोलनके नाममे घुसपैठ करके अशान्ति फैलाबेके प्रयास करईत हए त, उलाेगके कानुनी कठघरामे खडा करेके पडि।”
अन्त्यमे हुन खुलके कहलन , “माैलापुरमे एमालेके कार्यक्रम जईसे भि हाेई । अन्तिम निर्णय पार्टी करी, लेकिन काैनाे धम्की वा दबाबसे हमनी पछाडि नहटम ।”

