आरके श्रीवास्तव,राैतहट,कार्तिक १० गते ।
मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री मा. जितेन्द्र सोनल लोकआस्थाके महान पर्व छठ पर्व (सूर्य षष्ठी) के पावन अवसरमे सभि दाजुभाइ आ दिदीबहिनीसबमे हार्दिक मंगलमय शुभकामना व्यक्त कएले छत् ।
मुख्यमन्त्री सोनल शुभकामना सन्देशमार्फत कहले छत्, “छठ पर्वसे सामाजिक एकता, धार्मिक सहिष्णुता आ आस्थाके अद्वितीय उदाहरण प्रस्तुत कएले हए । एई पर्वसे सम्पूर्ण समाजमे सुख, शान्ति, समृद्धि आ सु–स्वास्थ्यके कामना करईछि । ”

हुन देश–विदेशमे रहल सम्पूर्ण मधेशवासी तथा नेपाली दाजुभाइ–दिदीबहिनीसबके ई पर्वसे आपसी प्रेम, समृद्धि आ सामाजिक सद्भाव बढाउन प्रेरणा मिले कहके शुभेच्छा व्यक्त कएले छत् ।
छठ पर्व विशेषकरके सूर्य देवके आराधना आ जलाशयमे अर्घ्य अर्पण करके मनाबेबाला धार्मिक पर्व हए, जेकर तयारी अभि मधेश प्रदेशके विभिन्न जिल्लामे उत्साहपूर्वक हाेरहल हए ।

