आरके श्रीवास्तव,राैतहट,कार्तिक १० गते ।
राैतहटके कटहरिया नगरपालिका–३ बडेडवाके युवाहसब आई सामूहिक रूपमे गांवके सडकसबमे सरसफाइ अभियान सञ्चालन कएले हए ।
कार्यपालिका सदस्य मनाेज जयसवालके नेतृत्वमे भेल उक्त सरसफाइ अभियानमे बडेडवाके विद्यालयके प्रअ रामअयाेध्या प्रसाद यादव सहित दर्जनाे स्थानीय युवासब सक्रिय रूपमे सहभागी भेल रहे ।
अभियानके क्रममे युवासब गांवके मुख्य सडक, सार्वजनिक स्थल आ आसपासके क्षेत्रसबमे फोहर संकलन करके वातावरण सफा करेके काम कएले हए ।
कार्यक्रमके उद्देश्य गांवके स्वच्छ आ स्वस्थ राखईत आगामी छठ पर्वके लक्षित करके सफाइ अभियानके प्रभावकारी बनाबेके रहल कार्यपालिका सदस्य जयसवाल बतएलन ।
युवासबके सामूहिक प्रयाससे मात्रे गांवके सफा आ व्यवस्थित बनावल जासकईत हए कहईत आगामी दिनमे भि अईसन अभियान निरन्तर सञ्चालन करेके प्रतिबद्धता जनएले हए ।