आरके श्रीवास्तव,राैतहट,कार्तिक ०८ गते ।
भसेढ्वा शैक्षिक सञ्जालके आयोजनामे दुसरका भसेढ्वा शैक्षिक सम्मेलन–२०८२ तथा छठ पर्वके उपलक्ष्यमे शुभकामना आदानप्रदान कार्यक्रम आई एक विशेष समारोहके साथ सम्पन्न भेल हए ।
कार्यक्रममे शिक्षण सेवासे अवकाश प्राप्त शिक्षक मोहनारायण प्रसाद यादव आ जियालाल दासके दोसल्ला आ सम्मानपत्र प्रदान करके सम्मान कएलगेल रहे ।
ई कार्यक्रम सञ्जाल २०८१ साल कार्तिक महिनासे प्रारम्भ कएले रहे जबकि २०८२ सालमे दुसरका संस्करणके रूपमे आयोजना कएलगेल हए ।

कार्यक्रमके संचालन रामधार प्रसाद यादव आ व्यवस्थापनमे प्रमुख भूमिका योगेन्द्र प्रसाद कुशवाहा, प्रमोद प्रसाद यादव, देवीलाल प्रसाद साह, रामाधार प्रसाद यादव, कपिलदेव प्रसाद यादव, चन्द्रकिशोर प्रसाद यादव, चन्द्रिका दास आ गृसनन्दन प्रसाद पोरस निर्वाह कएले रहे ।
कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि लक्ष्मीनारायण यादव आ अध्यक्ष प्रमोद प्रसाद यादव रहल रहलन । कार्यक्रममे बौद्धिक समुदायके उल्लेखनीय उपस्थिति रहल रहे ।
मावि भसेढवामे भेल कार्यक्रममे शुभकामना मन्तव्यके क्रममे प्रधानाध्यापक राममंगल यादव आईसन कार्यक्रमसे गावके शिक्षित वर्गके जाेडेके काम कएले धारणा राखलन ।
हीरालाल प्रसाद यादव गांवके सम्पूर्ण बौद्धिक वर्ग ई अभियानके निरन्तरता दिनाई आवश्यक रहल बतएले रहलन ।
प्रधानाध्यापक योगेन्द्र प्रसाद कुशवाहा वडाके साक्षर वडा घोषणा करेला जोड देईत शैक्षिक क्षेत्रमे निरन्तर सुधारके लेल सबभिके सहकार्य आवश्यक रहल उल्लेख कएलन ।
उ कार्यक्रममे परिचयात्मक सत्र आ खुला अन्तरक्रिया कार्यक्रम समेत कएलगेल रहे ।
थ्री–डी नक्शा कटहरिया–१ निर्माण करेके प्रतिबद्धता ग्रिसनन्दन प्रसाद पोरस व्यक्त कएले रहलन ।
कार्यक्रम उत्साहपूर्वक आ सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल आयोजक जनएले हए ।

