आरके श्रीवास्तव,रौतहट,कार्तिक ०७ गते ।
नेकपा एमालेके केन्द्रीय सदस्य तथा पूर्व प्रदेश सांसद कुन्दन कुशवाहा रौतहट निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ मे “भय, त्रास आ ठगीके राजनीति” अन्त्य करेके बतएले छत् । हुन अभितक एइ क्षेत्रके जनताके अधिकार आ विकाससे बेसी व्यक्तिगत स्वार्थ आ त्रास फैलाबेके राजनीतिके केन्द्र बनल आरोप लगएलन ।
फतुवा विजयपुर नगरपालिका–६ पेटभरवामे आयोजित दीपावली तथा छठ पर्वके शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रमके सम्बोधन करइत प्रमुख अतिथि कुशवाहा कहलन,
“क्षेत्र नं. ३ का संघीय सांसद प्रभु साह कभि प्रतिष्ठानके नाममे, कभि लैण्ड पुलिङ्गके नाममे जनताके धोका देले हए । चारबेर सांसद आ बेरबेर मन्त्री होके भि जनताके नकी,बलकी अपन नतागोता आ अपन मात्र लाभान्वित होएके काम कएले हए ।”
कुशवाहा हिन्दुसबके महान पर्व बडादशैं, शुभ दीपावली आ लोक आस्थाके पर्व छठके अवसरमे सम्पूर्ण रौतहटवासीमे शुभकामना व्यक्त करइत समाजमे एकता, सद्भाव आ विकासमुखी सोच आवश्यक रहल भि बतएलन ।

कार्यक्रमक विशिष्ट अतिथि एमाले नेता उपेन्द्र साह प्रभु साहके नैतिकता उपर प्रश्न उठावइत कहलन,
“संविधानके गारी देबेके आ उहे संविधान अन्तर्गतके सरकारमे चारबेर मन्त्री होएके, एमालेके गारी देबेके लेकिन धरबालीके एमालेसे मेयर बनाबेके — यदि नैतिकता हए त पद त्याग करके देखाबेके चाही।”
ओइसही, पूर्व राज्यमन्त्री नागेन्द्र यादव रौतहट–३ मे अब जातपातके राजनीतिके अन्त्य करइत सहअस्तित्व आ विकासमुखी राजनीति अगाडी बढाबेके जोड देलन ।
कार्यक्रम वडाध्यक्ष रामएकवाल यादवके अध्यक्षतामे सम्पन्न भल रहे ।
सहभागीमध्ये मौलापुर नपाके उपप्रमुख नागेन्द्र यादव, देवाही गोनाही नपाके प्रमुख प्रेमलाल साह कानू, फतुवा विजयपुरके पूर्व उपप्रमुख कान्ति देवी, एमाले नेता मनोज यादव, साथे पार्टीके कार्यकर्ता, बुद्धिजीवी, पत्रकार आ स्थानीय जनसमुदायके उल्लेखनीय उपस्थिति रहल रहे।
कार्यक्रम सञ्चालन पूर्व वडाध्यक्ष संजय प्रसाद कएले रहलन ।
आयोजक द्धारा कार्यक्रमसे जनतासंघेके सम्बन्ध सुदृढ करइत सौहार्दपूर्ण राजनीतिक वातावरण निर्माणमे योगदान पुगाबेके विश्वास व्यक्त कएलन ।

