आरके श्रीवास्तव,रौतहट,कार्तिक ०८ गते ।

रौतहटके कटहरिये बजारमे शुक्रबार ‘शक्ति मार्ट’के भव्य रूपमे उद्घाटन कएल गेल हए । निराला जेनेरल स्टोरद्धारा सञ्चालित इ आधुनिक सुपरमार्केटके उद्घाटन एक विशेष समारोहके बीच सम्पन्न भेल सञ्चालक महाशक्ति साह जानकारी देलन ।

कटहरिया बजारमे पहिलबेर सञ्चालनमे आएल इ सुपरमार्केटमे दैनिक उपभोगके वस्तुसब—खाद्यान्न, किराना सामग्री, सौन्दर्य प्रसाधन, गृहोपयोगी सामग्रीसे पेय पदार्थतक—एके छतके निचे उपलब्ध होएके बतवल गेल हए । एसे स्थानीय उपभोक्ताके सहज, किफायती आ आधुनिक खरिद–बिक्रीके नयाँ अनुभव प्रदान करेके अपेक्षा कएल गेल हए ।

उद्घाटन समारोहमे व्यापारी, स्थानीय जनप्रतिनिधि, समाजसेवी तथा सर्वसाधारणके उल्लेख्य उपस्थिति रहल रहे । कार्यक्रममे विशेष आकर्षणके रूपमे दुई जना ग्राहकके पुरस्कार भि प्रदान कएल गेल रहे ।
प्रथम पुरस्कारअन्तर्गत नन्दलाल बैठाके ५ ग्राम तौलके चाँदीके सिक्का आ दोसर पुरस्कारमे भगत प्रसाद जयसवालके २ गो चाँदीके सिक्का प्रदान कएल गेल सञ्चालक साह बतएलन ।

साहके अनुसार, “ग्राहकके विश्वास ही हमनीके पहिचान हए,ओहीसे हमनी उद्घाटनके अवसरमे उनलोगके सम्मानस्वरूप पुरस्कार वितरण कएले छि।”
स्थानीयवासीसब सुपरमार्केटके उद्घाटनसे बजारके व्यापारिक आ आर्थिक गतिमे नयाँ उचाइ लेआबेके विश्वास व्यक्त कएले हए । शक्ति मार्ट सञ्चालनमे अएलासंघे कटहरिया बजारमे आधुनिक खुद्रा व्यापारके नयाँ अध्याय सुरु भेल हए ।