आरके श्रीवास्तव,रौतहट,०७ गते कार्तिक ।
रौतहट जिल्लाके गरुडा नगरपालिका–५ मे वडा स्तरीय १० बजेटसे टावर लाइट जडान कएल गेल हए । वडा अध्यक्ष रामबिनोद जयसवालके अनुसार सार्वजनिक स्थलसबमे सुरक्षाके दृष्टिसे उज्यालो व्यवस्थापन करेला इ योजना कार्यान्वयन कएल गेल हए ।
अध्यक्ष जयसवाल कहलन, “हमनीके वडाके बासिन्दासबके रातमे चललापर अन्धकारके कारण असहज होरहल गुनासो करते आएल रहे । आकरे मध्यनजर करइत वडा स्तरीय बजेटसे टावर लाइट जडान कएल गेल हए । एसे अब स्थानीयके रातके सहज आवागमनके साथे सुरक्षा महसुस करेके ले मद्दत पुगाइ ।”
हुन कहलन, “वडाके समग्र विकासके लेल छोटछोट योजना भि महत्वपूर्ण होइअ । हमनी वडावासीके सहयोगमे हरेक क्षेत्रमे सुधार लेआबेके प्रयासमे छी।”
वडाके विभिन्न चोक तथा सार्वजनिक स्थलसबमे टावर लाइट जडान कएल गेल हए । स्थानीय बासिन्दासबभि वडाके एइ पहलप्रति खुसी व्यक्त कएले हए । उलोग रातके समयमे इजोत व्यवस्थापन भेलाबाद आपराधिक गतिविधि घटेके आ सामाजिक सुरक्षामे सुधार आबेके विश्वास व्यक्त कएले हए ।

