बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,कार्तिक ०७ गते ।
बज्जिका साहित्यमे महिलाके योगदानके विशिष्टीकरण करेके उद्देश्यसे रौतहटमे बज्जिका महिला सम्मेलन गठन कएले हए । मुख्य रुपमे बज्जिका भाषामे सक्रिय रहल महिला साहित्यकार और जादा महत्वपूर्ण सक्रियता देखाबेला अवसरके लेल सम्मेलनके गठन कएल गेल हए ।
बज्जिका संवाद यात्राके संस्थापक साहित्यकार ममता यादवके सभापतित्वमे रौतहटके गरुडास्थित एम्स एकेडेमीमे भेल साहित्यकार तथा बज्जिकासेवीसबके भेलासे चर्चित कवयित्री संगीता सहनीके अध्यक्षतामे सम्मेलनके सात सदस्यीय तदर्थ समिति गठन कएल गेल हए । सम्मेलनके कोषाध्यक्षमे सरिता साह आ सदस्यसबमे रोशनी यादव, मधु चौधरी, अनुष्का चौधरी आ करुणा पंडितके चयन कएल गेल हए ।
ओइसहि समितिके सदस्य सचिवमे ममता यादव आ सल्लाहकारमे रेणु गुप्ताके चयन सर्वसम्मतिसे कएल गेल हए । बज्जिका भाषा, साहित्य, कला आ संस्कृतिके क्षेत्रमे परिचितसबके पहिल चरणमे तदर्थ समितिमे राखल गेल जनावल गेल हए ।
सम्मेलन गठनके अवसरमे साहित्यकार सञ्जय साह मित्र महिला सर्जकसब बज्जिका वाङमयके क्षेत्रमे दूरगामी प्रभाव परेके हिसाबसे संस्थाके गठन कएलापर खुसी व्यक्त कएले हए ।
ओइसही बज्जिका जागरण भेला काठमाडौँके संयोजक इन्द्रजीत सहनी, बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके अध्यक्ष किशुनदयाल श्रीकृष्ण, नवसर्जक साहित्य चौतारी नेपाल मधेश प्रदेशके अध्यक्ष तथा बज्जिका संवाद यात्राके संयोजक अभिजीत कुमार राम, बज्जिका अनलाइन कार्यक्रमके संयोजक संजय महतो राज तथा साहित्यकार शिवचन्द्र प्रसाद साहसमेत सम्मेलनके गठनमे खुसी व्यक्त करइत बज्जिका साहित्य आ संस्कृतिके सेवामे महिलासबके और सक्रिय उपस्थिति होएके विश्वास व्यक्त कएले हए । कार्यक्रमके सहभागीसब नवगठित संस्थाके आवश्यकतानुसार सभि किसिमके सहयोग करेला तयार रहल भि बतएलन ।
आगामी दिनमे महिला सम्मेलनके क्रमशः प्रदेश आ राष्ट्रिय स्तरमे विस्तार करेके अध्यक्ष सहनीके प्रतिबद्धता रहल हए ।
नेपाल आ भारतमे करके बज्जिका भाषाके क्षेत्रमे सयौँ महिला सर्जक सक्रिय रहलापर भि महिलाके पहिल साहित्यिक संस्था भेल बतावल गेल हए ।

