काठमाडौं, ४ असोज
आम जनता पार्टी (आजपा)के अध्यक्ष एवं पूर्वमन्त्री प्रभु साह भ्रष्ट प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकार भि खारेज होएके बतएले हए । भ्रष्ट प्रदेश सरकारसब विघटन करके संघीयताके बरियार बनाबेके हुन बतएलन । आजपाके शनिचरके काठमाडौंमे सुरु भेल केन्द्रीय कमिटी बैठकके सम्बोधन करइत अध्यक्ष साह संघीयता खारेज नहोके आउरी बरियार बनाबेके परी बतएलन ।
आजपा मुलुकमे भ्रष्टाचार, कुशासन, अनियमितता, लुट एवं भ्रष्टाचार अन्त्य करेला दलाल दलतन्त्रके सट्टा आम जनताके शासनके जरुरी हए कहके निष्कर्ष निकालइत दु बर्ष पहिले तेसरका जनआन्दोलनके घोषणा कएले रहे । उहे तेसरका जनआन्दोलनके जगमे अखुनी जेनजीके जनविद्रोह भेल साह बतएलन । मुलुकमे भ्रष्टाचार, कुशासन, अनियमितता, दलसबके लुटकारी दलतन्त्रके कारण मुलुकके राष्ट्रियता, लोकतन्त्र आ अर्थतन्त्र हि धरासायी बनइत गेल निष्कर्ष रहे ।
तेसरका जनआन्दोलनके घोषणा भि कएले रहे आ उहे जगमे आइ जेनजीके जनविद्रोह भेल,’ हए । संविधान आ व्यवस्था गलत भेले कारण नेपाली जनताके अवस्था खराब भेल बताबइत हुन इ संविधान खारेज करके जेनजीसबके माग सम्बोधन करेके हुन बतएलन । ‘संविधान गलत रहे, व्यवस्था गलत रहे, ओहिसे नेपाली जनताके अवस्था खराब भेल बात स्वीकार करो ।
एहे व्यवस्था कायम राखके जेनजीसबके माग सम्बोधन नहोएबाला भेलासे इ संविधान खारेज करके भेलापर भि उसबके माग सम्बोधन करेके परी,’ साह कहलन । संसद्, अदालत, सिंहदरबारजइसन मुटमे षड्यन्त्रपूर्णक ढंगसे प्रहार भेल कहइत हुन येकर उच्चस्तरीय छानविन होएके परी बतएलन । साह जेनजी आन्दोलन अपहरण कएलगेल आ युवा पुस्ताके भावनाउपर हि कुठाराघात भेल बतएलन । जेसे देशके भड्खालोमे राखन आई उसब हि अखुनी मुरी उठाबेके खोजरहल बताबइत हुन युवासबके हत्या करेबाला केपी ओलीसब अखुनी युवाके झुठ मुद्धामे फसाबेके षडयन्त्रमे लागल बतएलन ।

