वीरगन्ज ९पर्सा०, असोज ४ गते ।
वीरगन्ज महानगर चालु आर्थिक वर्ष २०८२,८३ के लेल विनियोजित कएलगेल बजेट पुनःनिर्माणमे केन्द्रित कएले हए । महानगर गत भादो २३ आ २४ गते भेल ‘जेनजी’ प्रदर्शनके क्रममे भेल तोडफोड आ क्षतिग्रस्त संरचनाके पुनःनिर्माणके लेल बजेट खर्च करेबाल भेल हए ।
येलन आई आयोजना कएले नगरसभाके २८वा विशेष अधिवेशनसे पुनःनिर्माणसम्बन्धी प्रस्तावके सर्वसम्मत पारित कएले जनएले हए । जेनजी समूह प्रदर्शनके क्रममे येलनके भवन आ सवारी साधन तोडफोड आ लुटपाट भेल रहे । वीरगन्ज महानगरके प्रमुख राजेशमान सिंह महानगरके संशोधित बजेट पेस करइत बजेटके प्राथमिकतासमेत परिवर्तन करेके बतएलन ।
महानगरके १७वा नगरपरिषद् येसेपहिले आव २०८२,८३ के लेल तीन अर्ब २२ करोड ४८ लाख ४९ हजारके बजेट विनियोजन कएले रहे । विशेष अधिवेशनसे बजेटमे भेल नगरस्तरीय पुजीगत योजना, सामाजिक विकास कार्यक्रम तथा वडास्तरके योजनामे विनियोजन कएलगेल रकमके पुनःनिर्माणतर्फ स्थानान्तरण करेके निर्णय कएले हए ।
संशोधनपश्चात् करिब रु ३० करोड पुनःनिर्माणके लेल उपलब्ध होएके भेल हए । संशोधित बजेटसे प्रशासनिक भवन निर्माण, सवारी साधन खरिद, मेसिनरी उपकरण, ल्यापटप, कम्प्युटर, प्रिन्टर तथा फर्निचर खरिद, कार्यालय भवन मर्मत, गाडी भाडा, बिजुली बत्ती आ अन्य आवश्यक सामग्री खरिदमे खर्च करेके प्रावधान कएले हए ।
विशेष अधिवेशनसे जेनजी प्रदर्शनके क्रममे काठमाडौमे भेल प्रदर्शनमे प्रहरीके गोली लागके मृत्यु भेल वीरगन्ज महानगरपालिका वडा नम्बर १२ के असहाब आलमके परिवारके पाच लाख उपलब्ध कराबेके प्रस्ताव पारित कएले हए ।

