रौतहट, असोज ३ गते ।

प्रमुख जिल्ला अधिकारीके निर्देशनमे स्थानीय तहके खाता सञ्चालन भेल हए । जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी विनोदकुमार खड्काके निर्देशनमे साविकके निमित्त प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतके नाममे रौतहटके १४ गो स्थानीय तहके खाता सञ्चालन सुचारु होएल हए । सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय खटएले दरबन्दी अनुसारके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत हाजिर नहोएतकके लेल साविक जिम्मेवारीमे रहल निमित प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतकेहि नाममे हालके खाता सञ्चालन करेला कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालय रौतहटके निर्देशन देले रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी खड्का जानकारी देलन ।

दशैमे कर्मचारीके तलब खिआकेबाला भेलासे खाता सुचारु नहोएलापर समस्या होएबाला भेलासे तलब, भत्तालगायत आवश्यक खर्चके भुक्तानी मात्रके व्यवस्थाके लेल कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालय रौतहटके निर्देशन देले हुन बतएलन ।

१८ मध्ये ४ गो स्थानीय तह खाता सुचारु कएले रहे , अन्य आ खाता सञ्चालनके प्रक्रियामे लेगेल रहे लेकिन १४ गो स्थानीय तह प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतविहीन रहल अवस्थामे मन्त्रालय पुनः जिम्मेवारी हि नदेले कर्मचारीके नाममे होए लागल खाता सञ्चालनके विरोध होए लागलाकेबाद कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालय रौतहट खाता सञ्चालन कएल चार गो स्थानीय तहके समेत खाता निष्क्रिय पारले रहे साथे अन्यके खाता सञ्चालनके प्रक्रिया रोकले रहे ।

साविककेहि कर्मचारीके नाममे खाता सञ्चालनके निर्णय कएलापर व्यापक विरोध होएलागलाकेबाद जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहट बिफेके रौतहटके १८ गो स्थानीय तहसंघे सुशासन कायम तथा पारदर्शिताके लेल प्रतिबद्धता जनाबे लगएले हए ।

जिल्लाके स्थानीय तहसबके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत, कोष तथा लेखा नियत्रक कार्यालयके प्रमुख कोष नियन्त्रक आ सुरक्षा निकायके पदाधिकारीके उपस्थितिमे जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटमे भेल छलफलकेबाद स्थानीय तहसब १९ बुदे साझा प्रतिबद्धता कएले हए । गोरखापत्र