बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,भदौ १९ गते ।

रौतहटके फतुवा बिजयपुर नगरपालिका–२ शितलपुरमे दुर्गा मन्दिरके शिलान्यास कएलगेल हए । स्थानीय विकास तथा धार्मिक आस्थाके प्रतीकके रूपमे निर्माण होए लागल मन्दिरके शिलान्यास फतुवा बिजयपुर नगरपालिका वडा नम्बर २ के वडा अध्यक्ष अनिरुद्ध प्रसाद यादव (सञ्जय) विधिवत पूजा–पाठ करके कएले हए ।

इ कार्यके स्थानीयवासीसब अ‍ेतना सराहनीय कदमके रूपमे स्वागत कएले हए । मन्दिरके निर्माण सम्पन्न भेलाकेबाद इ क्षेत्रके धार्मिक तथा सांस्कृतिक महत्त्व आउरी बढेके अपेक्षा कएलगेल हए ।