बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,भदौ १९ गते ।

रौतहटके कटहरिया नगरपालिकाके सभा हलमे भादो १८ आ १९ गते दु दिने पालिका स्तरीय वार्षिक समिक्षा गोष्ठी सम्पन्न भेल हए । गोष्ठीमे आ.व. २०८१,०८२ मे नगरपालिकामे सञ्चालन कएलगेल विभिन्न स्वास्थ्य कार्यक्रमसबके समिक्षा कएलगेल हए ।

कार्यक्रममे स्वास्थ्य सेवा कार्यालय, स्थानीय स्वास्थ्य संस्था, विभिन्न सरोकारवाला निकाय तथा समुदायके प्रतिनिधिसबके सक्रिय सहभागिता रहल रहे ।

समिक्षा गोष्ठीके उद्देश्य आगारु वर्षमे सम्पादन कएल स्वास्थ्य गतिविधिसबके समीक्षा करइत सफल कार्यसबके आउरी प्रभावकारी बनाबेके तथा देखलगेल समस्यासबके पहिचान करके आगामी योजनासब निर्माण रहल स्वास्थ्य संयोजक दिनेश यादव जानकारी करएलन ।

गोष्ठीमे विभिन्न प्रस्तुती, समूह छलफल आ कार्ययोजनाके समीक्षा सहित आगामी आवके कार्यदिशा समेत तय कएलगेल जनएले हए । कार्यक्रममे स्वास्थ्य सेवा प्रवाहके आउरी गुणस्तरीय, सर्वसुलभ आ समावेशी बनाबेके प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन ।