रौतहट, १९ भदौं ।
उखु किसानसब अनुदानके रकम नपएलाकेबाद भादो २५ गतेसे निर्णायक आन्दोलनके तयारीमे जुटल हए । सरकार बेर बेर किसानसबके अनुदानके रकम देबेला आनाकानी करके झुक्याबइत आरहलापर बाध्य होके भादो २५ गते से पूर्व पश्चिम राजमार्ग अवरुद्ध बनाके निर्णायक आन्दोलनके तयारीमे लेल परल हए । उखु उत्पादक संघके अध्यक्ष अशोक यादवके अनुसार देशभरमे रहल १३ गो चिनी उद्योगसे गत बर्ष दु लाख १५ उखु क्रशिंग भेल रहे ।
उक्त उख क्रशिंग कएलापर किसानसब ७० रुपइयाके दरसे पाबेबाला अनुदानके रकम १ अर्ब ५५ करोड रकम पाबेके परलमे सरकार किसान प्रति उदाशिन बनल । देशभरके उखकिसानसब उक्त रकमके माग करइत भादो ७ से १४ गते तक राजधानीके माइतीघर मण्डलामे धर्ना प्रदर्शन कएलन । उक्त अवधीमे किसानसब प्रति सत्तापक्षसे लेके प्रतिपक्ष तकके नेता एवं पूर्व प्रधानमन्त्रीसब समेत उपस्थित होके एक्युबद्धता जनाबइत किसानसबके मागके जायज ठहर कएले हुन बतएलन । कृषि मन्त्री रामनाथ अधिकारी उख किसान संघे बेर बेर वार्ता करके ३५ रुपइयाके दरसे ७५ करोड रकम निकासा कएले संघके अध्यक्ष यादव जानकारी देलन ।
लेकिन किसानसब ७० रुपइयाके अडानमे कायमे रहल हुन बतएलन । कृषि मन्त्री अधिकारी किसानसब संघे १० दिन भित्र समस्या समाधान करेला भेलापर भि उक्त माग पुरा करेला कउनो पहल नहोएलापर सर्लाहीके हरिवनमे भादो २५ गते से निर्णायक आन्दोलनके तयारीमे हमनी उख किसानसब तयारीमे जुटल हुन बतएले हए । आबेबाला दु महिना पश्चात उख क्रशिंग करेके सिजन सुरु होए लागलापर समेत अखुनीतक उखके मूल्य निर्धारण नहोनाइ, अनुदानके रकम नपाबेके समस्यासे ग्रसित किसानसब अव आरपारके आन्दोलन करके अनुदानके रकम लेबेके चेतावनी देइत पूर्व पश्चिम राजमार्ग अवरुद्ध बनाबेके समेत हुन कहलन ।
उखके मूल्य निर्धारण करेला उद्योगपति, किसान प्रतिनिधि, उद्योग, कृषि, अर्थ आ वाणिज्य मन्त्रालयके संयुक्त रोहवरमे चिनीके बजार मूल्य आ किसानके उख उत्पादन लागतके आधारमे मूल्य निर्धारण होएके उख उत्पादक संघके अध्यक्ष अशोक यादव माग कएलन ।

