आरके श्रीवास्तव,रौतहट,भदौ १८ गते ।

श्री आधारभुत बिद्यालय लक्ष्मिनिया, बिजयपुर, रौतहटके ६४ वा वार्षिकोत्सव तथा स्थापना दिवस सफलता साथ सम्पन्न भेल हए । पहिल बेर स्थानीय सरकारी विद्यालय येताना भव्य कार्यक्रम आयोजना कएलाकेबाद येकरा फतुवा बिजयपुर नगरपालिकाके शिक्षाक्षेत्रमे ऐतिहासिक सुरुवातके रूपमे लेलगेल हए । कार्यक्रमके अध्यक्षता विद्यालय व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष दिनेश चौधरी कएले रहलन आ प्रमुख अतिथि फतुवा बिजयपुर नगरपालिकाके कार्यवाहक नगरप्रमुख अम्बेया खातुन रहल रहलीन । हुन कार्यक्रममे बोलइत कहलीन (“आइके दिन हमनी सबके लेल गौरवके विषय हए ।

सरकारी विद्यालय येतना व्यवस्थित आ समावेशी कार्यक्रम करे सकेके स्थानीय नेतृत्व, शिक्षकसबके मेहनत आ समुदायके विश्वासके प्रतिफल हए । नगरपालिका आगामी दिनमे भि येइसन शैक्षिक प्रयाससबके पूर्ण साथ आ सहयोग देबेबाला हए ।” कार्यक्रममे वडा नम्बर ९ के अध्यक्ष राकेश यादव (पप्पु) विद्यालयप्रति आपन प्रतिबद्धता जनाबइत कहलन —”

हम सबदिन विद्यालयके विकासमे साथ देते आएल बारी आ आगामी दिनमे कक्षा १० तक विस्तार करेके लेल आवश्यक पहल करेबाला हए । लक्ष्मिनिया बस्तीके समग्र विकासके लेल शिक्षा हमरे पहिल प्राथमिकता हए ।” उक्त अवसरमे वडा नम्बर ८ के अध्यक्ष नितेश चौधरी, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत भरत प्रसाद यादव, कार्यपालिका सदस्य उमाशंकर जयसवाल, पप्पु चौधरी लगायत नगरपालिकाके विभिन्न जनप्रतिनिधिसब, समाजसेवी, अभिभावक, शिक्षक, महिला समूह तथा युवा समुदायके उल्लेखनीय उपस्थिति रहल रहे । विभिन्न विद्यालयके प्रधानाध्यापकसब तथा शिक्षा क्षेत्रमे योगदान पुगारहल अग्रजसबके समेत उपस्थिति कार्यक्रमके आउरी गौरवमय बनएले रहे । विद्यार्थीसबद्वारा प्रस्तुत सांस्कृतिक कार्यक्रम, अभिभावकसबके सहभागिता, आ सम्मान कार्यक्रममे वातावरण अत्यन्त उत्साहपूर्ण बनल रहे । विद्यालय लमहर समयसे उत्कृष्ट योगदान देबेबाला विद्यार्थी, अभिभावक तथा स्थानीय सहयोगीसबके सम्मानपत्र आ प्रमाणपत्र प्रदान करके कदर व्यक्त कएले रहे ।

विद्यालयके प्रधानाध्यापक जयकिशोर प्रसाद साह आपन मन्तव्यमे २०६१ सालसे निरन्तर सेवा करइत आएल स्मरण करइत कहलन — “शुरुआती अवस्थामे कक्षा ५ तक मात्र सीमित रहल इ विद्यालय अखुनी कक्षा ८ तक विस्तार भेल हए, जउन सामूहिक प्रयास, समर्पण आ समुदायके साथके परिणाम हए । इ सफल यात्रामे साथ देबेबाला सबके हम हृदयसे धन्यवाद देबेला चाहम ।” कार्यक्रममे अतिथिसब विद्यालयके प्रगति, शैक्षिक गुणस्तर आ भविष्यके योजनाके विषयमे प्रेरणादायी विचार राखइत विद्यालय परिवारके प्रशंसा कएले रहे । श्री आधारभुत बिद्यालय लक्ष्मिनिया परिवार सम्पूर्ण सहभागी, अभिभावक, विद्यार्थी, अतिथि तथा स्थानीय समुदायके हार्दिक धन्यवाद ज्ञापन कएले हए ।