आरके श्रीवास्तव,रौतहट,भदौ १८ गते ।
रौतहटके गरुडा नगरपालिकामे अभिए नियुक्त प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत निलम कुमार न्यौपानेके एक विशेष कार्यक्रमबीच नगर प्रमुख कन्थमणी प्रसाद जयसवाल स्वागत कएलन । कार्यक्रममे विशिष्ट अतिथिके रूपमे उप–मेयर पुनम कुमारी चौधरीके उपस्थिति रहके,
साथे इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी नायव उपरीक्षक राजन कार्की, नगरपालिकाके विभिन्न वडाके अध्यक्षसब, सम्पूर्ण कार्यालयके कर्मचारीसब तथा शाखा प्रमुखसबके उल्लेखनीय उपस्थिति रहल रहे । स्वागत कार्यक्रममे नगर प्रमुख जयसवाल प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत न्यौपानेके स्वागत करइत समन्वयात्मक रूपमे नगरके समुन्नत विकासमे आगारु बढेला सबके आग्रह कएलन ।
नव नियुक्त अधिकृत न्यौपाने विश्वासके साथ जिम्मेवारी निर्वाह करेके प्रतिबद्धता जनाबइत सब पक्षसंघे सहकार्यके अपेक्षा व्यक्त कएलन । कार्यक्रम सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल जानकारी करावलगेल हए ।

