आरके श्रीवास्तव,रौतहट,भदौ १७ गते ।

रौतहटके गरूडा नगरपालिकामे आयोजना होएबाला मेयर कप क्रिकेट टुर्नामेन्टके लेल खेल सामग्री (क्रिकेट कीट) वितरण कार्यक्रम मंगरके सम्पन्न भेल हए ।

यूथ क्लब अफ रौतहटके आयोजनामे सम्पन्न कार्यक्रममे क्लबके उपाध्यक्ष बलराम ठाकुरके अध्यक्षतामे कार्यक्रम संचालन भेल । कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि नगर प्रमुख कन्थमनी जयसवाल खेलकुदसे युवासबबिच एकता, अनुशासन आ स्वस्थ प्रतिस्पर्धा ल्याबेके बताबइत कहलन, ूखेलकुदसे समाजके जोडेबाला माध्यम हए । नगरपालिकासे सबदिन खेलकुद गतिविधिमे साथ देते आएल हए आ भविष्यमे भि येइसन कार्यक्रमसबके निरन्तर समर्थन करेबाला हए ।ू

ओइसहि, वडा नम्बर ५ के वडा अध्यक्ष रामबिनोद जयसवाल यूथ क्लब आ खेलाडीसबके धन्यवाद देइत कहलन, ूइ प्रकारके प्रतियोगितासे स्थानीय युवासबमे प्रतिभा उजागर करेमे मद्दत पुगाबइअ । हमनी सब मिलके येइसन सकारात्मक गतिविधिके आउरी सशक्त बनाबेके परी ।ू कार्यक्रममे वडा नम्बर ६ के अध्यक्ष रामबाबु जयसवाल, वडा नम्बर ७ के अध्यक्ष प्रविण यादव, कार्यपालिका सदस्यसब, खेलाडीसब लगायतके उपस्थिति रहल रहे ।

यूथ क्लब अफ रौतहटके अनुसार मेयर कप क्रिकेट प्रतियोगिता विगत ४ वर्षसे सञ्चालन होते आएल हए । इ वर्ष प्रतियोगितामे प्रथम होएबाला टिमके रु. १ लाख २५ हजार आ प्रमाणपत्र, द्वितीय टिमके रु. ६५ हजार आ प्रमाणपत्र प्रदान करेके यूवा समाजसेवी शैलेस जयसवालसे जानकारी करएले हए । ओइसहि, म्यान अफ द म्याचके रु. १५ हजार, बेस्ट बलर आ बेस्ट ब्याट्सम्यानके जनही रु. १० हजार आ प्रमाणपत्र प्रदान करेबाला हए । कार्यक्रमके सञ्चालन राजेश्वर पाण्डे कएले रहलन ।