बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,भदौ १७ गते ।

गौर राजनैतिक घटना आ प्रस्तावित भूमि विधेयकके विरोधमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा), नेपालद्वारा २०८२ भादो १८ गते (बुध) के रौतहटके कटहरिया बजारस्थित बिवाह भवनमे एक विरोध तथा जन जागरण कार्यक्रम आयोजना करेबाला भेल हए । कार्यक्रम दुपहर २ ः ०० बजे सुरु होएके तय भेल हए । जसपा, नेपाल रौतहटके कार्यालय सचिव दिनेश कुमार यादव एगो विज्ञप्तिमार्फत कार्यक्रममे सहभागी होके सशक्त उपस्थिति जनाबेला सबके हार्दिक अनुरोध कएले हए ।

इहे सन्दर्भमे, होएबाला विरोध कार्यक्रमके विशेष तयारी सम्बन्धी छलफल सम्पन्न भेल जानकारी भि प्राप्त भेल हए । छलफलमे कार्यक्रमके सफल बनाबेके लेल आवश्यक व्यवस्थापन, जनसहभागिता, सुरक्षा व्यवस्था लगायतके विषयमे विस्तृत योजना बनावलगेल हए । कार्यक्रममे जसपा नेपालके केन्द्रीय उपाध्यक्ष गोबिन्द चौधरी,केन्द्रीय सदस्य एवम् गुजरा नगरपालिकाके मेयर सन्तलाल चौधरी,यूवा नेता श्रीकान्त यादव लगायतके नेतासबके उपस्थिति रहल रहे ।

जसपाके स्थानीय नेता तथा कार्यकर्तासब उक्त कार्यक्रम गौर घटनामे न्यायके माग आ भूमि विधेयकके विरोध स्वरूप आयोजित कएलगेल जनाबइत, कार्यक्रमसे मधेशके आवाज बुलन्द पारेके विश्वास व्यक्त कएले हए ।