बज्जिकाञ्चल संवाददाता,राैतहट,भादाे १६ ।

समाजवादी प्रेस संगठन नेपाल, जिल्ला कार्य समिति रौतहट एक प्रेस विज्ञप्ति जारी करईत संगठनके नेता तथा नागरिक दैनिकके रौतहट संवाददाता मदन ठाकुर उपर सामाजिक सञ्जालमार्फत कएल गेल चरित्र हत्या आ सामाजिक बेइज्जतीप्रति गम्भीर आपत्ति जनएले हए ।

संगठनके अनुसार कुछ व्यक्तिसब फेसबुक जईसन सामाजिक सञ्जालमे भिडियो बनएले पत्रकार ठाकुरके तथानाम बदनाम करेके नियतसे प्रचारप्रसार कएले आ एसे उनर सामाजिक प्रतिष्ठामे आँच पुगाबेके प्रयास भेल आरोप लगावल गेल हए ।

संगठनके अध्यक्ष दिनेश यादव ‘संगम’ द्वारा हस्ताक्षरित विज्ञप्तिमे कहल गेल हए, “पत्रकारउपर कएल गेल अईसन किसिमके बदनामपूर्ण गतिविधि प्रेस स्वतन्त्रता आ व्यावसायिक मर्यादाविरुद्धके कार्य हए । एई घटनामे संलग्न व्यक्तिसबके कानुनी दायरामे ल्याके कडासे कडा कारबाही करेके चाहि कहके हमनीके जोडदार माग हए।”

संगठन सम्बन्धित सरकारी निकायसे तत्काल छानबिन करके दोषीउपर आवश्यक कानुनी प्रक्रिया अगाडि बढाबेला भि आग्रह कएले हए ।

समाजवादी प्रेस संगठन पत्रकारके सम्मान आ संरक्षणके पक्षमे अपने सबदिन दृढतापूर्वक खडा भेल कहईत अइसन घटनासे लोकतान्त्रिक मुल्य–मान्यता आ प्रेस स्वतन्त्रतामे आघात पुगाबेके चेतावनी देले हए ।