वीरगन्ज, भदौ ७ गते ।

पर्सा जिल्लाके वीरगन्ज महानगरपालिकाके विभिन्न टोलमे हैजाके संक्रमण फैलल पुष्टि भेल हए । विशेषकरके नगवा आ मुर्ली क्षेत्रके झाडापखालाके बिरामीसबमध्ये १० जनामे हैजा (कोलेरा) के पुष्टि भेल हए । नारायणी अस्पताल, तराई अस्पताल आ वीरगन्ज हेल्थकेयर मे झाडापखालाके बिरामीके अत्यधिक चाप देखलगेल हए ।

पछिल्ला १० दिनमे ३०० से बेसी बिरामीसब उ अस्पतालसबमे उपचार करारहल हए । स्वास्थ्य महाशाखाके अनुसार, संक्रमितसब वडा नम्बर ११, १२, १३, १५ आ १६ के हए । अभितक संक्रमितमध्ये १६ वर्षीय बालक, २४ वर्षीय युवक आ २४ वर्षीय महिला भि हए । शनिचरके बिहानतक झाडापखालाके कारण ३ जनाके मृत्यु भेल पुष्टि कएलगेल हए, लेकिन उसबके मृत्यु हैजाकेहि कारण भेल हो वा नहए कहके यकिन होनाइ बांकी हए ।

पर्साके वीरगन्ज महानगरपालिकाके नगवा तथा मुर्ली क्षेत्रके झाडापखाला लागके अस्पताल भर्ना भेल बिरामीसब मध्ये १० जनामे हैजा (कोलेरा) के सङ्क्रमण पुष्टि भेल हए । अखुनी नारायणी अस्पताल, वीरगन्ज हेल्थकेयर, तराई अस्पताल लगायत स्वास्थ्य संस्थासब झाडापखालाके बिरामीसब भराएल हए । वीरगन्ज महानगरपालिकाके स्वास्थ्य तथा सामाजिक विकास महाशाखाके अनुसार, शनिचरके सबेरे १० बजे तकमे वीरगन्जके वडा नम्बर ११, १२, १३, १५ आ १६ के विभिन्न टोल विशेषकरके नगवा आ मुर्ली टोलके दस जनामे भिब्रियो कोलरी जीवाणुसे होएके हैजाके सङ्क्रमण पुष्टि भेल हए ।