काठमाडौं ।

आम जनता पार्टी (आजपा)के अध्यक्ष एवं पूर्वमन्त्री प्रभु साह ‘नेपालमे नेताके लुट आ भ्रष्टाचार मात्र सुरक्षित’ भेल आ व्यक्तिके सुरक्षा नभेल टिप्पणी कएले हए । आम जनताके सुरक्षा देबे नसकल सरकार कैदी बन्दीके ज्यानके सुरक्षा करेमे असफल भेल हुन बतएलन ।

प्रतिनिधिसभाके बुधके बैठल बैठकके सम्बोधन करइत आजपा अध्यक्ष साह कारागारमे कैदीबन्दीके हत्याके जिम्मेवारी कउन लि कहके प्रश्न करइत इबारेमे गृहमन्त्री रमेश लेखकके जवाफ माग कएले हए । वीरगंज कारागारके कैदी राहुल साह आ कैलाली कारागारके कैदी भरत चौधरीके हत्याके जिम्मा कउन लि कहइत हुन सरकारसे इबारेमे जवाफ देबेके माग हुन कएलन ।

उपचार नपाके साहके आ झडपमे परके चौधरीके मृत्यु भेलाकेबाद आजपा अध्यक्ष साह येकर जिम्मेवारी सरकारके लेबेकेपरी बतएलन । इ हत्याके जिम्मेवारी कउन लि सभामुख महोदय । कैदीबन्दीके हत्या होइअ, ओकर जवाफ कउन दि ? कथी ओलनके कैदीबन्दी दोषी हए कि सरकारके व्यथिति दोषी हए ? सरकारके प्रशासन दोषी हए कि सरकार दोषी हए ? कि कैदीबन्दी दोषी हए कहके गम्भिर प्रश्न उठइअ । आम जनता पार्टीके अध्यक्ष तथा पूर्वमन्त्री प्रभु साह देशमे शान्ति, सुरक्षा आ अमनचयन नभेल अवस्थामे कारागार भि असुरक्षित बनल टिप्पणी कएले हए ।

कारागारभि असुरक्षित होए लागलाकेबाद देशके शान्ति, सुरक्षाके अवस्था कथी हए । कहके हुन प्रश्न कएले हए । देशमे शान्ति, सुरक्षा, अमनचयन त नभेल, अब त कारागारभि असुरक्षित होए लागल । कारागारमे भेल कैदबन्दीके निधनमे सरकारके बेथिति दोषी रहल साहके आरोप हए । कैलाली कारागारके अवस्थाबारे सरकारके अग्रिम जानकारी भेल भेलापर भि घट्ना घट्नाई दुःखद् भेल उनकर टिप्पणी हए ।