काठमाडौँ ।
गत आर्थिक वर्ष २०८१,८२ के सावनतकमे मधेसमे धान रोपनी सम्पन्न होचुकल रहे । लेकिन इ वर्ष मनसुन अवधिमे भि मधेसमे खडेरी परलाकेबाद अभिभि धान रोपाई सम्पन्न होए नसकल हए । मधेसमे धान रोपाइ होएबाला कुल ३ लाख ७२ हजार ६ सय ४५ हेक्टर क्षेत्रफलमध्ये २ लाख ८५ हजार २ सय ३४ हेक्टर क्षेत्रफलमे मात्र रोपाई सम्पन्न भेल कृषि विकास निर्देशनालय मधेस जनएले हए । इ साल मौसम प्रतिकुल बनलापर मधेसमे रोपाई होए नसकल हए ।
अखुनी मधेसमे रोपाई सुधचुकल रहेके बेर अभिभि रोपाइ सम्पन्न होए नसकल हए । कारण हए– समयमे पानी नपरनाई, सिंचाइके व्यवस्था नहोनाई । सिंचाइके व्यवस्था नहोएलापर आ आकाशे पानीके भर परेके बाध्यतासे किसान धान रोपे नपएले हए । कृषि विकास निर्देशनालयके वरिष्ठ वागवानी विकास अधिकृत प्रदीप यादवकाअनुसार सावन सुधे लागलापर मधेसमे ८२ प्रतिशत धान रोपाइ सम्पन्न होचुकल अनुमान कएलगेल हए । अर्थात अभिभि १८ प्रतिशत धान रोपाइ मधेसमे बाकी हि हए ।
कृषि विकास निर्देशनालयके अनुसार सबसे बेसी बारामे ९५ प्रतिशत धान रोपाइ भेल हए । बारामे रोपाइ होएबाला कुल क्षेत्रफल ४६ हजार २० हेक्टरमध्ये ४३ हजार ७ सय १९ हेक्टरमे धान रोपाइ सम्पन्न भेल हए । पर्सामे धान रोपाइ होएबाला ३९ हजार ७ सय ३१ हेक्टरमध्ये ३६ हजार ५ सय ५२ हेक्टरमे रोपाइ भेल हए । सिरहाके धान रोपाइ होएबाला कुल क्षेत्रफल ५४ हजार हेक्टरमध्ये ३७ हजार ८ सय हेक्टरमे जम्मा ७० प्रतिशत रोपाइ भेल हए । धनुषामे ४३ हजार ७ सय हेक्टर धान खेती होएबाला क्षेत्रफलमध्ये जम्मा ३० हजार ५ सय ९० हेक्टर क्षेत्रफलमे रोपाइ भेल हए ।
उक्त क्षेत्रफलमे ७० प्रतिशत मात्र रोपाइ भेल हए । रौतहटमे ३५ हजार हेक्टरमध्ये ३० हजार ६५ हेक्टरमे अर्थात् ८६ प्रतिशत रोपाइ भेल हए । सर्लाहीमे ४३ हजार ६ सय ९४ मध्ये ३२ हजार ७ सय ७० हेक्टरमे रोपाइ भेल हए । इ ६५ प्रतिशत हए । सप्तरीमे ७० प्रतिशत मात्र रोपाइ होए सकल हए । सप्तरीमे ६८ हजार हेक्टर क्षेत्रफलमध्ये ४७ हजार ६ सय हेक्टरमे मात्र रोपाइ होए सकल हए । महोत्तरीके धान रोपाइ होएबाला कुल क्षेत्रफल ४२ हजार ५ सय हए । ओमेसे २६ हजार १ सय ३७ हेक्टरमे अर्थात ६१।५ प्रतिशत रोपाइ भेल हए ।

