राकेश यादव, रौतहट,२७ गते सावन ।
मधेश प्रदेश सरकारके मुख्यमंत्री आ स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मंत्रीले प्रादेशिक अस्पताल गौरके परिसरमे सञ्चालनमे रहल वर्ष पुरान चमेना गृह क्यान्टिनके मंगरके साझ उदघाटन कएले हए । २०८१ सालमे निर्माण होके ठेक्कामे गेल जेष्ठ महीनातक सञ्चालन भेल चमेना गृहके मुख्यमंत्री सतीश कुमार सिंह उदघाटन कएले हए ।
३० हजार प्रति महीना रकम बुझाबेके कहके २०८१ सावनसे ठेक्कामे सञ्चालन कएलगेल चमेना गृह प्रादेशिक अस्पताल गौरमे उपचार कराबेला आएल जिल्लाके यमुनामाई गाउपालिका वडा नम्बर २ के वडा अध्यक्ष सीताराम यादवके क्यान्टिन संचालकके कर्मचारी बसीया भात देलाकेबाद उत्पन्न भेल विबादके कारन अस्पताल प्रशासन चमेना गृहमे ताला लगाके बन्द करएले हए ।
पहिला देले हए ठेक्का रद करके प्रादेशिक अस्पताल गौर दोसरका पटकके ठेक्का स्वीकृत करके सुधल बुझलगेल हए । अस्पतालके परिसरमे दक्षिण तरफमे रहल पुरान घरके मरमत सम्भार करके बनएले एमसीएच क्लिनिकके भि मुख्यमंत्री सिंह आ स्वास्थ्य मंत्री शत्रुधन प्रसाद सिंह उदघाटन कएले हए ।
१ बर्ष पहिला निर्माण होके सञ्चालन होके सुधल चमेना गृहके वालमे आपन नामके शिलालेख राखेके लेल मुख्यमंत्री उदघाटन कएले कहके आलोचना समेत होए लागल हए ।
प्रादेशिक अस्पताल सञ्चालन तथा व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष मो अनवर हासमी आपन पदावधि बढाबेके उदेश्यसे येइसन कार्य कएले कहके स्थानीयसब टिपण्णी कररहल हए । जनता समाजवादी पार्टी नेपालके सरकार होएलापर जसपाके पूर्व प्रदेश सांसद रामकिशोर यादवके सहयोगमे व्यवस्थापन समितिके जिम्मेवारी पाएल हासमी वर्तमान अवस्थामे नेकपा एमालेके नेता संग सहकार्य करके दोसरका कार्यकालके लेल पहल कररहल बुझलगेल हए ।
हासमीके अवधि भादो १५ गते सुधइत हए । आपन पद जोगाबेके जनता समाजवादी पार्टी संग अनौपचारिक रुपमा टाढा भएका हासमी अहिले एमालेका नेताको शरणमा पुगेका छन । समाचार स्रोतका अनुसार अवधि थप गर्नको लागि ठूलो रकमके चलखेल कएलगेल बाजारमे हल्ला चलल हए ।
गौर प्रादेशिक अस्पतालके अध्यक्षमे अनवर हासमी अएलासे सरसफाईमे सुधार भेलासे आर्थिक पारदर्शितामे बेर बेर बिबाद होते आएल हए । कर्मचारीके न्युक्ति
, आन्तरिक आय आ व्ययके विषयमे हासमी ऊपर अनियमितताके आरोप लागइत आएल हए ।

