बज्जिकाञ्चल संवाददाता,जनकपुरधाम,२७ गते सावन ।
धनुषाके जनकपुरधाममे वकिलसब पत्रकारउपर आक्रमण कएले हए । जेमे आधा दर्जनसे बेसी पत्रकारसब घायल भेल हए । आक्रमणमे नेपाल पत्रकार महासंघ मधेश प्रदेशके अध्यक्ष श्याम बन्जारा, महासचिव शैलेन्द्र महतो ‘क्रान्ति’,
पत्रकार दिवाकर राय सहित आधा दर्जनसे बेसी पत्रकारसब घायल भेल हए । उसबके प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे उपचार होरहल हए । अध्यक्ष बन्जाराके शरीरके विभिन्न भागमे चोटपटक लागल हए रायके मुरीमे चोट पुगल हए ।
नेपाल पत्रकार महासंघ प्रदेश समिति गुठी संस्थानसंघे लिजमे लेले ४ कट्ठा जग्गा कब्जा करेला खोजलापर वकिल आ पत्रकारबीच विवाद चरकल मंगरके आक्रमणतक पुगल हए ।
महासंघके अनुसार भूतनाथ महादेवके दक्षिणतिरके जग्गा वार्षिक तीन लाख एक हजार एक सय रुपैयामे २० वर्षके लेल गुठीसंघे सम्झौता कएलगेल हए ।
लेकिन नेपाल बार एसोसिएसन जनकपुरधाम उक्त जग्गामे आपन पार्किङके दाबी करइत सावन २१ गतेसे कब्जा कएले महासंघके आरोप हए । अध्यक्ष बन्जारा कानुनी प्रक्रिया पूरा करके प्राप्त जग्गा कब्जा करेके आपत्तिजनक रहल बतएले हए ।
उनका अनुसार बारसंंघे मौखिक सहमति भेलापर भि पछिल्ला दिनमे विवाद आउरी बढल हए ।
इ विषयमे भादो ५ गते दुनु पक्षके छलफलके लेल बोलएले हए । महासंघ प्रदेशके कार्यालय भवन उहे निर्माण करेके योजना रहल बतएले हए । राजधानी टुडे

