आरके श्रीवास्तव,रौतहट,२६ गते साउन ।

लोकतान्त्रिक पत्रकार संघके संशोधित विधान अनुसार धनुषाके वरिष्ठ सञ्चारकर्मी धिरेश कुमार दत्तके केन्द्रीय सदस्य पदमे मनोनयन कएलगेल हए ।

संघके तर्फसे जारी मनोनयन पत्रमे दत्तके पदभार ग्रहण कएले जानकारी देले हए आ उनकर कार्यकाल सफल होएके विश्वास व्यक्त कएले हए । संघके अध्यक्ष कामरेन्द्र वर्मा दत्तके मनोनयन कएले सहर्ष जानकारी कराबइत देश, मधेश, पत्रकारिता क्षेत्र आ पार्टीके हितमे उल्लेखनीय योगदान रहेके विश्वास व्यक्त कएले हए ।

धिरेश कुमार दत्त हाल दत्त आरके मिडिया नेटवर्क, कलर्स एफएम १०२.४ मेगाहर्ज, अनलाइन टिभी आ कलर्स खबरमे आबद्ध होके सञ्चार क्षेत्रमे सक्रिय भूमिका निर्वाह करइत आरहल हए । उनकर मनोनयनसंघे धनुषा लगायत मधेश क्षेत्रके पत्रकारिता क्षेत्रमे थप ऊर्जा आ सकारात्मक सन्देश प्रवाहित भेल स्थानीय सञ्चारकर्मीसब जनएले हए ।