आरके श्रीवास्तव,राैतहट,१९ गते साउन ।
रौतहट जिल्लाके गरूडा नगरपालिका स्थित प्रसिद्ध शिवनगर महादेव मन्दिरमे तेसरका सावन साेमार महाेत्सव २०८२ भव्य रूपमे सम्पन्न भेल हए । गरूडा नगरपालिकाके आयाेजनामे हाेरहल ई वार्षिक महाेत्सव सावन महिनाके प्रत्येक साेमबार विभिन्न धार्मिक तथा सांस्कृतिक कार्यक्रमके साथ सम्पन्न हाेते आएल हए ।
ई वर्षके महाेत्सवके उद्घाटन सावन महिनाके पहिल साेमबार गरूडा नगरपालिकाके नगर प्रमुख कन्थमनी जयसवाल गर्नु कएले रहलन । प्रमुख जयसवाल शिवनगर महादेव मन्दिरके धार्मिक पर्यटकीय गन्तव्यके रूपमे विकास करेला नगरपालिका दीर्घकालीन योजना आगारु बढएले उल्लेख करईत ई किसिमके महाेत्सवसब धार्मिक पर्यटन प्रवर्द्धनके लेल महत्वपूर्ण हाेएके बतएले हए ।
कार्यक्रमके समापन सावनके तेसरका साेमबार विशेष समारोहके साथ सम्पन्न भेल हए ।
महाेत्सवमे गरूडा नगरपालिका वडा नम्बर ५ के वडा अध्यक्ष रामबिनाेद जयसवाल प्रमुख अतिथिके रूपमे सहभागी हाेईत कहलन, “शिवनगर महादेव मन्दिर आ सावन साेमार महाेत्सव हमनीके क्षेत्रके पहिचान हए । येकराके विश्वसामु चिनाबेमे हमनी प्रत्येक वर्ष ई कार्यक्रमके आउरी भव्य आ व्यवस्थित बनाबेमे प्रतिबद्ध बारी ।”
कार्यक्रमके अध्यक्षता टिकटाक स्टार राजकुमार साह कएले रहलन आ संयाेजकके रूपमे कलाकार तथा कमेडियन माेहरलाल पटेल (एमएल पटेल) भूमिका निर्वाह कएले रहलन ।
महाेत्सवमे भारत, बिहारके चर्चित कलाकार अलवेला अशाेक तथा नेपालके लोकप्रिय मैथिली गायक जागेश ठाकुर, किरण साह लगायतके कलाकारसब आपन प्रस्तुति देले रहे । धार्मिक श्रद्धालुसबके साथे हजाराे दर्शक तथा भक्तजसबके उल्लेख्य उपस्थिति रहल ई महाेत्सव रौतहटके सांस्कृतिक आ धार्मीक पहिचानके आउरी प्रगाढ बनएले हए ।

