सागर ठाकुर, रौतहट १८ गते सावन ।
कटहरिया नगरपालिका–४ निवासी समाजसेवी शन्तोष राज दास आपन जन्मदिन विशेष तरीका मनएले हए । हुन ऐतबारके गरुडास्थित बंशीराम जयसवाल अनाथालयमे खाद्यान्न सामग्री वितरण करईत टुहुरा बालबालिकासंघे आपन जन्मदिन मनएले हए । दास अनाथालयमे चामल ३ बोरा, चिउरा १ बोरा, दाल ५ किलो, खाने तेल ५ लिटर, चाउचाउ १ कार्टुन, दालमोट २ प्याकेट, चकलेट २ डिब्बा, नुन १० प्याकेट लगायतके खाद्यान्न सामग्री प्रदान कएले हए ।
खाद्यान्न वितरण कार्यक्रम गरुडा नगरपालिकाके मेयर एवं अनाथालय सञ्चालक समितिके सदस्य कन्थमणि प्रसाद जयसवालके रोहबरमे सम्पन्न भेल रहे । कार्यक्रममे अनाथालय सञ्चालक समिति अध्यक्ष, पुजारी तथा स्थानीय पत्रकारसबके भि समेत उपस्थिति रहल रहे । समाजिक कार्यमे सक्रिय दास पोखरामे व्यवसायीके रूपमे समेत परिचित हए । स्थानीय युवा नेता रञ्जित कुशवाहाके अनुसार दास दयालु स्वभावके व्यक्ति हए आ पछिल्ला समय सामाजिक सेवामे विशेष रुचि राखईत आएल हए ।
कुशवाहाले कहलन, “अखुनीके परिवेशमे बहुत मानिस अपन जन्मदिनमे साथीभाइके भोजभतेर करके मनाबईअ । लेकिन दास उ परम्परा तोडईत अनाथ बालबालिकासंघे जन्मदिन मनाउवनाई उदाहरणीय हए ।

