काठमाडौं :

राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड कक्षा १२ के नतिजा सार्वजनिक कएले हए । बोर्डके बैठक सोमनरके १२ कक्षाके नतिजा सार्वजनिक कएले हए । नतिजाअनुसार ई वर्ष नियमिततर्फ ६१.१७ प्रतिश विद्यार्थी उत्तीर्ण भेल हए ।

ओईसहि आंशिकतर्फ ३६.४९ प्रतिशत उत्तीर्ण भेल बोर्डके अध्यक्ष महाश्रम शर्मा जानकारी देले हए ।

उनका अनुसार १३ हजार ५०२ जना उत्कृष्ट ३.६ से ४ जीपीए ल्याएल हए । ओईसहि ५५ हजार ८९६ जनाले ३.२१ से ३.६० जीपीए, २.८ से ३.२१ सम्म ल्याबेबाला ९४ हजार २६८ जना, २.४१ से २.८ ल्याबेबाला ६९ हजार ८१२ जना, २.२१ से २.४० ल्याबेबाला ८ हजार ९६४ जना आ ओकरा निचा २३ जना ग्रेडेड भेल शर्मा जानकारी देले हए।

ओईसहि १ लाख ५३ हजार ८८२ जना ननग्रेडेड भेल हए ।

बोर्डके अनुसार ई वर्ष नियमति ३ लाख ९६ हजार ३४७ आ आंशिकतर्फ १ लाख १४ हजार ६४० विद्यार्थी परीक्षामे सहभागी रहे । सहभागी कूल ५ लाख १० हजार ९८७ मध्ये नियमिततर्फ २ लाख ४२ हजार ४६५ र आंशिकतर्फ ४१ हजार ८४० जना विद्यार्थी ग्रेडेड भेल हए । ननग्रेडेड विद्यार्थीसबके लेल भदौ २८ र २९ गते ग्रेड वृद्धि परीक्षा हाेएबाला बोर्ड जनएले हए ।

ओईसहि १७ जना विद्यार्थीके परीक्षा रद्द कएलगेल बोर्ड जनएले हए ।