आरके श्रीवास्तव,रौतहट,१८ गते साउन ।
गरूडा नगरपालिका वडा नम्बर ५ के वडा अध्यक्ष पदके उम्मेदवार रमेश प्रसाद यादवसंघे विशेष अन्तर्वार्ता
प्रश्नः अपने जनताके सेवामे कइसे लागरहल बारी ?
हम राजनीतिक पृष्ठभूमिसे आएए व्यक्ति नबारी, लेकिन जनताके कमी परल बेर सबदिन सहयोग करइत आएल बारी । जनताके विश्वास कामसेहि कमाइन्छ कहेबाला मान्यता राखइबारी । शिक्षा, स्वास्थ्य वा अन्य कउनो भि क्षेत्र जेलन जनताके आवश्यकता देखलजाइअ । ओलन हम आपनासे सकेतक सहयोग पुगाबेके कोसिस करम । किसानके लेल कृषि विद्युतिकरणके प्रयास कररहल बारी आ कएले भि बारी । वडाके जनतासे आके कउनो आवश्यकतासब राखलामे करिब ७५ प्रतिशततक त सकेबाला सहयोग करचुकल बारी ।
प्रश्नः विकास निर्माणके क्षेत्रमे अपनेके योगदान कइसन रहल ?
हम निर्वाचित प्रतिनिधि नभेलापर भि विगतके दु जना निर्वाचित वडा अध्यक्षसे बेसी विकास निर्माणमा योगदान पुगएले बारी । उदाहरणके लेल, शिवनगरमे विश्वकर्मा मन्दिर निर्माण, सडक ढलान, नाला निर्माण, लक्ष्मीपुरमे भि ढलान कएले बारी । इ साल भि छठघाट निर्माण, शिवनगरमे दुर्गामन्दिर, आ महम्मदपुरसे भीमडाबरतक सडक ढलान करएले बारी । वडाके बजेटसे बेसी काम कएले बारी, लेकिन कमाइके धन्दा नकएले बारी ।
प्रश्नः अपने निर्वाचित नभेलापर भि बेसी काम कएले दाबी कररहल छी, जनताके कइसे विश्वस्त बनाबछी ?
जनता अपने मूल्यांकन करइअ । हमर काममे कउनोके शंका लागलापर प्रमाणित करके देखाबेला तयार बारी । हम प्रदेश सरकार लगायत सम्बन्धित निकायसबसंघे समन्वय करके विकासमे लगानी कररहल बारी । अगर कउनोके शंका हए त, सिधा जनताके बीच जाउ । उसब हि हमर पक्षमे बोलेबाला हए ।
प्रश्नः गरिब तथा विपन्न वर्गके लेल कथी योगदान देले बारी ?
हम प्रचारके लेल न, कामके लेल राजनीति कएले बारी । सामाजिक सञ्जालमे नलौकलापर भि हम प्रदेश सरकारसंघे समन्वय करके मदन भण्डारी आवास कार्यक्रम अन्तर्गत ८ गो घर निर्माण करएले बारी । उ घरसब खासकरके उ गरिब परिवारके प्रदान कएलगेल हए, जउन वर्षोसे गाओसे बाहर रहइत आएल रहे । कुछ धनी वा कार्यकर्ताके न, लक्ष्यित वर्गके हि सहयोग पुगएले बारी । हमराके विश्वास .हए । निमन काम कएलापरर जनता साथ देइअ ।
प्रश्नः अपने खुद युवा बारी, युवाके कथी सन्देश देबेके चाहम ?
राजनीति परिवर्तन करेला युवा पुस्ताके मुख्य भूमिका होइअ । पुरान सोचसे देश विकास नहोए सकी । जहा जहा युवाके अवसर देले हए, ताहा परिवर्तन सम्भव भेल हए । हम युवाके प्रेरित करेला चाहम कि आपन समाज अपने सुधारेला आगारु बढेके परी । हम अपने भि दिन रात युवाके आवश्यकतामे साथ देबेला तयार बारी ।
प्रश्नः अन्त्यमे वडावासीप्रति अपनेके सन्देश कथी हए ?
हम अपनाके सेवक सम्झीले, आ जनताबे भगवान् मानइले । हम वडाबासीसबके इहे कहेला चाहम कि हम सेवा करेला सबदिन तयार बारी, प्रतिफल अपनेकेहि हातमे हए । राजनीतिक यात्रामे हम बहुत संघर्ष कएले बारी । पहिल बेर उम्मेदवार बनके २ ३ सय भोट पएली, लेकिन इहे जनताके आशीर्वादसे आइ बहुतेक ठोस काम करे सकल बारी । हमराके पूर्ण विश्वास हए आगामी दिनमे जनता हमराके थप अवसर देबेबाला हए ।
रमेश प्रसाद यादव नेपाली कांग्रेसके वडा सभापति हए येसे पहिलेके स्थानीय तहके निर्वाचनमे रौतहटके गरूडा नगरपालिका वडा नम्बर ५ से उम्मेदवारी देले रहे ।

