राकेश यादव,१८ गते साउन ।

जनता समाजबादी पार्टी जिल्ला कार्य समिति रौतहट आइ प्रधानमन्त्री तथा मधेश प्रदेश सरकारके मुख्यमन्त्रीके ज्ञापन पत्र बुझएले हए । सुख्खाग्रस्त क्षेत्र घोषणा कएलापर भि किसानके राहत पैकेज देबेके परल लगायतके माग राखइत जसपा नेपाल जिल्ला प्रशासन कार्यालय मार्फत ज्ञापन पत्र बुझएले हए । जिल्ला अध्यक्ष राजिव रंजन यादवके नेतृत्व गेल जसपा नेपालके कार्यकर्तासब सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी किरणनिधि तिवारीके ज्ञापन पत्र बझएले हए ।

ज्ञापन पत्रमे पिडित किसानके राहत पैकेज उपलब्ध कराबेके , पानीके स्रोत संरक्षण करेके लेल चुरे दोहन रोकेके, अबैध रुपमे होएबाला उत्खनन नियन्त्रण तथा कानुन बिपरित संचालनमे रहल क्रसर उद्योग उपर कार्यवाही करेके माग कएले हए । मधेश प्रदेशके बिरगंज से बारा, रौतहट, सर्लाही, महोतरी धनुषा जिल्लामे पानिके समस्याके तत्काल समाधान करेके, किसानके मोटर स्यालो ट्युबेल जडान करेला लगएले २ बिगाहा जग्गाके प्राबधान हटाके साना किसानके पाबेबाला करके व्यवस्था मिलाबेके परेके, उख किसानके रकम भुक्तानी होएके माग ज्ञापन पत्र मार्फत कएलगेल हए ।

ज्ञापन पत्र बुझाबेके कार्यक्रममे गुजारा नगरपालिकाके मेयर सन्तलाल चौधरी, माधव नारायण नगरपालिकाके उपप्रमुख निर्मला रमण, पूर्व राज्य मन्त्रि योगेन्द्र राय यादव, पूर्व गौर नगरपालिकाके उपप्रमुख किरण ठाकुर लगायतके सयो पार्टी कार्यकर्तासबके सहभागिता रहल रहे ।