आरके श्रीवास्तव,राैतहट,१५ गते सावन ।

नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहट शाखाके पूर्व आ वर्तमान अध्यक्षलाेग पत्रकारिताके मर्यादा, उत्तरदायित्व आ आचारसंहितामे आधारित पत्रकारिताके पक्षमे जोड देलेछत् । उलाेग हालके पत्रकारिताके अवस्था, ओकर चुनौती आ समाधानबारे स्पष्ट विचार राखले हए ।

“पूर्व अध्यक्ष प्रेमचन्द्र झा पत्रकार केवल पत्रकारिता करेकेचाहि, अन्य उद्देश्य नराखके सत्य तथ्यमे आधारित समाचार लिखेके चाहि कहलेछत् । उनकरा अनुसार पत्रकार न्याधीश नहए, लेकिन समाचार सबदिन सत्य आ तथ्यमे आधारित हाेएकेचाहि । समाचारसे काैनेके हानी नपुगाबेके, टकराव पैदाकरेके अवस्था नलेआबेबाला कार्य करेके हुन बतएलन । पत्रकारके मुख्य दायित्व कहेके मतलब सही सूचना सम्प्रेषण करनाई हए, सूचना तोडमोड करनाई वा काैनाेके असर पुगेके समाचार सम्प्रेषण करनाई गलत हए कहके धारणा हुन राखलन । हुन सभि पत्रकार आचारसंहिताके परिधिमे रहके पत्रकारिता पेशाके मर्यादा जोगाबेके जोड देलन ।

“वर्तमान अध्यक्ष सञ्जय कार्की पत्रकार अपन भूमिका नबिसरके आचारसंहितामे रहके जिम्मेवार ढंगसे काम करेके बतएलन । हुन कहलन १७–१८ वर्षअगाडिसे पत्रकारिता कररहल पत्रकारसब डर, धम्की वा दबाब अनुभव नकएले कहईत आचारसंहितामे आधारित पत्रकारितासे अभिभि समस्या नआई कहलेछत् । समाचार लिखलापर स्रोतके विश्वसनीयता कायम राखेके आ काैनाेके प्रतिक्रिया लेके मात्र समाचार प्रकाशन करेके उनकर कहनाम हए । पत्रकारिताके वर्तमान दिशा बुझईत अगाडि बढेके आवश्यक रहल हुन बतएलन । ”

“पूर्व अध्यक्ष रविन्द्र साह कहलन रौतहटमे हाल व्यावसायिक पत्रकारितासे भि झोले पत्रकारके संख्या बढतेगेल बतएलन । उनकार अनुसार अभिके पत्रकारिता निजि स्वार्थमे आधारित बनल हए आ पत्रकारिता परिवर्तनके लेल नहए , व्यक्तिगत लाभके लेल प्रयोग हाेरहल हए । एई अवस्थाके मुख्य कारण राजनीतिक पार्टीसब गैर–पत्रकारसबके पत्रकार संगठनमे प्रवेश करएले कहईत हुन चिन्ता व्यक्त कएले छत् । हुन व्यावसायिकता, अध्ययनशीलता आ समाजप्रति उत्तरदायित्वबोध नभेल पत्रकारितासे रौतहटके पत्रकारिता क्षेत्रमे गम्भीर चुनौती खडाहाेरहल उल्लेख कएले छत् ।

तीनु पत्रकारके नेतासबके अभिव्यक्तिसे रौतहटके पत्रकारिता क्षेत्र व्यावसायिक, नैतिक आ संस्थागत रूपमे चुनौतीसब भोगरहल स्पष्ट देखल जारहल हए । समाधानके लेल आचारसंहिताके पालन, सत्य–तथ्यमूलक समाचार आ पत्रकारिताके मूल मूल्यप्रति प्रतिबद्धता आवश्यक रहल उलाेगके धारणा हए ।